Darbhanga Ladki Sa Bhel Pyar Bhavi Ji

मुखड़ा

चाहे मारी गरियाबी,चाहे घ'र सँ भगाबी।
दिल के राज हम बताबी,नै गप्प हम नुकाबी।।
चोरी-चोरी क' लेलियै,नैना चारि भाभी जी।
दरभंगिया लड़की सँ भेल प्यार भाभी जी।।

रातौ के नींद नै अबैए, बेचैन मोन ई रहैए ।
आबि दिल के हाल की कही,ओकरे मे प्राण बसैए।

की बताबी हम कते छी, बेकरार भाभी जी।
दरभंगिया लड़की सँ भेल प्यार भाभी जी।।

हम होश मे अपन नै छी,नै जानि की अछि केने।
भरि गाम घुमैत रहै छी,हम फ़ोटो ओकर लेने।

हाँ!लगाबू आबि अहीं यै,जोगाड़ भाभी जी।
दरभंगिया लड़की सँ भेल प्यार भाभी जी।।



Credits
Writer(s): Ashutosh Azal
Lyrics powered by www.musixmatch.com

Link